आह्वान
डाबरि या पोखरि? धूर्झरी'क मोन मे कतहु कोनो तार एक दोसर से ओझड़ा गेलैक, एक टा चित्र बिजलोका जकां चकमकेलैक। चमैन चिंतित छथि, पोखैर त खुना गेल आब यज्ञ कोना होयत? जाबत पर्यन्त यज्ञ नहि ताधरि जैठि नहि आ ता धरि पोखरि नहि।
दरभंगा'क पच्छिम कबड़ाघाट मे बागमति'क किनार बैसल धूर्झरी अस्ताचलगामी सू्र्य के देख रहल छथि।बागमति'क ओहि पार बाध आ तकर अंत करैत बांस'क क्षितिज। सूर्य बांस'क फुनगी पर चढ़ि आन कोनो जगत हेतु उतरि गेल रहथि। चिड़ै चुनमुनि'क कलरब सेहो शनै शनै मंद पड़ैत जा रहलैक। लेकिन धूर्झरी'क अंत:करण शांत नहि भ रहल छलैक। ई जगह ओकरा सबसं प्रिय। अतऽ अयला पर छण मे दिन'क संपूर्ण थकान समाप्त भ जाइत छलैक ओकर। ई अछिये एहन अदभुत स्थान। बागमति के जेना हठात् क्रीड़ा सूझल होन्हि आ ओ अर्ध बृताकार नृत्य क लेलीह। बच्चा मे भूगोल'क मास्टर सिंह साहेब गोखूर झील पढ़ौने रहथि। जहिया मिथिला रिसर्च इंस्टिच्यूट आयल आ बागमति'क ई नृत्य के देखलक मोन भेलैक चिकैर के भूगोल'क सिंह साहेब के कबड़ाघाट बजा ली।
अनाथ धूर्झरी पिछला डेढ़ बरख सं नित्य प्रति एहि बागमति' क किनार बैसि सूर्यास्त देखि रहल छथि। सूर्य के बांस'क फूनगी पर चढ़ा दक्षिण मुहें नदी'क संगे संग हल्लुक डेगे बिदा भेलाह। दोसर कात कोनो चिता सं अग्नि शिखा अस्ताचलगामी आकाश'क लालिमा संग मिल सिनुर'क होली खला रहल छल।
क्लांत मन नेने धूर्झरी अपन डेरा आबि गेलाह। लालटेन'क रोशनी मे ओहि सांझ धूर्झरी डायरी मे तारीख दर्ज कयलन्हि: 17 अक्टूबर 1957.
लालटेन'क बाती तेज क धूर्झरी टेबूल पर डायरी खोलि लेलक। करची कलम सं रॉयल बलू मोती झहरऽ लगलैक...
17 अक्टूबर 1957.
भट्टाचार्य बाबू के चमैन लेल 'drummer woman' शब्द नहि लिखबाक चाहैत छलन्हि। ई सर्वथा अनुचित कयलन्हि ओ। आई हुनक किताब'क प्रेस कॉपी देखि जतेक मन आह्लादित भेल भोरे भोर, ततबे दुपहरिया तक जैत जैत पन्ना पलटैत पलटैत मन क्लांत भ उठल।मन के कतेक बुझबैत छियैक, तर्क आ व्यवहारिकता'क दुहाई दैत पड़तारैत छी आ मोन एहन जे जिद पर अड़ल अछि। एकर सेहो गलती नहि। कतेक हुलसि के भट्टाचार्य महोदय के अप्पन गाम'क चमैनिया डाबर'क खिस्सा सुनौने छलियन्ह। अयाची मिश्र'क सबा कट्ठा बारी, शंकर'क जन्म आ महाराज'क समक्ष हुनक बालोऽहं प्रकरण, चंद्रहार पुरस्कार'क गप्प आ चमैनि द्वारा जलाशय खुनयबा'क खिस्सा। सबटा त सुनौहने छलियन्हि। आ सुनि हुन नेत्र सेहो पसरले रहि गेल रहन्हि। तखनि फेर चमैनि नहि लिखि ड्रमर वोमन लिखबा'क की कारण? हं। मोन पड़लैक। खिस्सा सुनि लेलाक अगिला भोर मे भट्टाचार्य बाबू धूर्झरी के तकैत आयल रहथि आ कहने छलाह जे काल्हि सरिसब बला जे खिस्सा अहां कहने रही से त अदभुत लेकिन ई मात्र जन श्रुति मे अछि या केओ एहि पर किछु कलम सेहो चलौने छथि? हमरा गलत जूनि बुझु। हम एतिहासिक प्रमाण अथवा दस्तावेज'क गप्प नहि पूछि रहल छी। जखनि पोखरि गाम'क मध्य स्वयं अछि त एतिहासिक प्रमाण'क कोन जरुरत। तथापि संभव अछि जे केओ एहि जन श्रुति के कहियो लिपीबद्ध सेहो कयने हेताह। कि अहांके एहि संबंध मे सेहो किछु जानकारी अछि। अहां से अतेक अल्प समय मे जतेक हम प्रभावित भेलहूं अछि आ अहांक प्रतिभा'क जतेक बखान एतय अन्य सबहक मुंह सं सुनल सेह एहि जिज्ञासा'क कारण सेहो।
हम गदगद भ गेल रही हुनक बिनम्रता देखि। एहन उदभट विद्वान आ हमरा सन तुच्छ व्यक्तिक मुक्त कंठे प्रशंसा। जन्म धन्य भ गेल, सैह प्रतित होइत छल ओहि दिन। हुनक ई प्रश्न'क उत्तर मे एतबे कहलियन्हि जे अहां मात्र एक छण दिअ हमरा आ दोसर पल आँखि झपकबा सं पूर्बहि म.म. सर गंगानाथ झा संपादित शंकर'क वादविनोद हुनक समक्ष क देल। कहने छलियन्हि जे अपने ई देखल जाऊ।
...आ तखनहु भट्टाचार्य बाबू ड्रमरवोमन लिखलथि। से कियैक? की हुनका वाद विनोद'क 'चर्मकारिण्यास्तडाग' नहि देखयलन्हि? चमैनि लिखबा मे कोन आपत्ति छलन्हि जे ई लिखलाह? चमैनि शब्द त आनो आन विद्वान लोकनि दर्ज कयने छथि बंगाल आ बिहार'क 'दाई' या 'धाय' हेतु। नहि त सामान्य प्रचलित शब्द midwife लिख देबा मे कोनो हर्ज नहि। फेर, ई किएक?
लेकिन, एहि क्लांति सँ हमर ध्यान मे एकटा जिज्ञासा आकार ल रहल अछि, चमैन के छलीह? हुनक जाति की छल? आ हुनक नाम ? कोना पता चलत?
लालटेन'क व्याकुल बाती कहैत अछि जे आजूक डायरी इंट्री के विश्राम देल जाय।
24 सितंबर 1957
आई नचिकेता कका सं बहुत समय बाद भरि पोख गप्प भेल। चमैन ल क जे मोन मे व्याकुलता छल तहि कारण पुस्तकालय आ ओहुना हमर व्यवहार मे उद्धिग्नता जे आबि गेल रहय, पिछला एक सप्ताह सं, ताहि सँ कका'क स्नेह बत्सल ह्रदय आ सतत साकांक्ष आँखि भला कतहु अनभिज्ञ रहि सकल छल। ई अनाथ के सरिसब सँ दुलार से अनने त रहथि प्रो.अनंत बाबू, लेकिन अनंत बाबू'क संग अन्य दू टा पितृतुल्य महान आत्मा कबड़ाघाट' क अहि मैथिली रिसर्च आ पोस्ट ग्रेज्युएट इंस्टिच्युट मे पहिल सांझे से अपन संरक्षण आ स्नेह'क छाया तर मे हमरा सन अभागल के ल लेलथिन्ह: एक त डायरेक्टर वैद्य साहेब आ दोसर यैह नचिकेता कका।
नचिकेता कका भरि सप्ताह हमर बेचैनी सं परिचित छलाह। लाइब्रेरी दिस हमर भागम भाग देखैत रहलथि। कखनहु कखनहु हमर बेचैनी हुनक चेहरा पर मुस्कान'क अदृश्य रेखा सेहो खींच दैत छल, से हमरो से नुकायल त नहिये रहय। लेकिन, हम नोट लैत रहलहूं। बताह जकां बिना कोनो दिशा आ बगैर कोनो निर्देश'क। पैराग्राफ पर पैराग्राफ, उद्दरण पर उद्दरण। लेकिन ओझरायल सूत्र सोझरेबाक नाम नहि ल रहल छल।
आई सायंकाल, टहलऽ बहरयलहूं। पाछू से नचिकेता कका'क आवाज आयल, 'धूरी, कनी थमह। हमहूं चलै छी'।
बाट मे हम चमैन बला अप्पन जिज्ञासा कहलियन्हि। कका स्वीकारलथि जे हुनका हमर बेचैनीक भान त छलन्हि लेकिन विषयक अंदाज नहि रहन्हि। भालसरि तर खसल फूल बिछैत बजलाह, 'सुनह, दू टा सूत्र पकड़। एक त, 'चमैन' शब्दक पाछा नहि भाग। मन मे रखने रह आ संदर्भ भेट' त लिख लेल कर। लेकिन जन्म सं संबंधित जे सामाजिकता छैक, जे संबंध, जे लोक बेद भ सकैछ सब दिस अपन दिमागक घोड़ा के दौड़ा दियौ। आ लोक बेद क मतलब खाली लौकिक एवं बैदिक बिधि व्यवहार तक सीमित नहि राख। हम जखन लोक बेद कहै छी त एहि मे लोक मतलब मनुख, जाति, संप्रदाय आ हिनक अनुभवक संसार आ दोसर कात ज्ञानक भिन्न भिन्न परंपरा। ई दुनुक संयोग भेल लोक वेद। त जन्मक प्रक्रिया मे शामिल प्रत्येक व्यक्ति आ प्रत्येक कर्म, प्रत्येकव्यवहार पर ध्यान लगाऊ।
नचिकेता कका' क सुझाव अव्यवहारिक लगैतो चुपचाप मुड़ी डोलबैत रहलहूं।
ओ अपन धून मे मग्न छलाह। 'हं त दू टा सूत्र मे ई त भेल खेत तैयार केनाई। देखह, चमैनक लेल गंगानाथ झा सेहो चर्मकारिणीक जखनि उपयोग कयने छथि त अहि समाजक एकटा काज ढोल ताशा बजौनै सेहो त होइते छैक। अत: यदि दिनेश भट्टाचार्य चमैनक लेल ड्रमरवूमन लिखलथि त कोनो बेजाय गप्प त नहि। लेकिन, अतऽ विचारैक गप्प ई जे चर्मकारक स्त्री जे आजुक समय मे आ गंगानाथ बाबूक समय मे चमैनक रुप मे जानल जाईत रहल से भेल एकटा सामाजिक तथ्य। लेकिन ई आवश्यक नहि जे यैह सामाजिक तथ्य पंद्रहम सदी'क मैथिल समाज लेल सेहो सत्य होय, सटीक होय। त पंद्रहम सदी मे चमैन के कोनो खास जातिवाचक संज्ञाक रुप मे देखल जाय या ई कार्यवाचक शब्द छल?
ई त भेल एकटा मोट सूत्र। दोसर, ई देखह जे दाय , धाय आ धारित्री जिनका लेल नैतिक साहित्य मे अतेक आदर आ सम्मान छैक से नारी के निम्न जाति सं केना जोड़ि देल गेल। परसूती गृह, सौरी के जन्म सं संबंधित लोक सबके समय के अशुद्द कियै बुझऽ लगलैक ई समाज। चमैन के ल के जे सामाजिक जातिगत उपेक्षाक बोध एहि सदी मे देखैत छियैक की यैह बोध पहिनेक काल मे सेहो रहल? यदि नहि त आजुक सामाजिक मान्यता'क जड़ि मे की अछि? देखह, हम ई कथमपि नहि कहि रहल छी जे पहिने वर्ण व्यवस्था नहिं रहल। से त सदिखन रहल। समाज जाति मे बिभाजित हरदम रहल। तथापि हम ई सबाल उठबै लेल कहैत छी त एकर किछु कारण।
नचिकेता कका आब थाकि गेल रहथि। अंत मे कहलथि जे एक दिस चरक आ सुश्रुत तक धूमि आबह। आ, दोसर दिस ई हाल महक अंग्रेज सरकार , अंग्रेजी विज्ञान आ चिकित्सा एवं स्वास्थ्य' क क्षेत्र मे एहि साम्राज्यवादी सरकार'क नीति दिस देखह। बहुतो रास गांठ खुजैत जेतौक, रास्ता भेटऽ लगतौक।
(क्रमश:)
आई सायंकाल सं पूर्बहि, कहि त बेरू पहर उपरांतहि अयलाह। हम लाइब्रेरी मे चमैनि'क संबंध मे नोट्स लेबा मे ध्यानस्थ छलहूं। कहियो एना मे ओ टोकेत त नहि छथि लेकिन आई कदाचित देखैत रहलाह ताबत धरि जाबत तक हमर एकाग्रता भंग नहि भ गेल। अपना अपरतीब सेहो लागि रहल छलन्हि, हमर चेष्टा मे विध्न उत्पन्न करबा लेल। तथापि, ओ ठाढ़े रहला। आब पश्चाताप हुनक मोन सं बहरा हमरा मे प्रवेश क गेल। पुछलियैंहि, 'कका, कखैन अयलहुं? कतेक काल से ठाढ़ छी? पहिने किएक नहि कहलौंहुं? '
कका कहलथि जे हमरा एहि तरहे ध्यानाग्र देखि टोकैक मोन नहि कयलकन्हि। परन्तु आई मोन क्लांत भ गेल छलन्हि ताहि कारणे एतहि थमकि के रहि गेलाह।
हमरा मोऽसि दान'क ठेपि बंद करैत देखि कहलथि असंकोच सेहो होमय लगलन्हि। बजलाह, ' नहि तों काज करऽ| हम त अहिना बौऽआ रहलहुं, काल'क अनेरुआ जकां।'
हमरा कनियों भांगठ नहि रहि गेल जे आई नचिकेता कका उदास छथि। हमहु थाकि गेल त छलहुंए। हुनक मोन'क गप्प पुछलियन्हि, 'टहलै लेल चलब, कका?' हुनक चेहरा पर प्रसन्नता आबि गेलन्हि। हम दुनु गोटे चलैत गेलहुं। बागमति'क काते कात त नहि, कथापि नदि'क डांड़ धेने। लेकिन, शहर दिस। फटेसरनाथ फेर पंचानाथ आ आरो आगू... हजारीनाथ घरि।
नचिकेता कका सुनबऽ लगलाह अपन जीवन'क किस्सा। यम के दान दे देल गेल जीवन'क सत्य। बटगमनी जेंका मोहक, भालसरि फूल सन मधुर गमकैत लेकिन दंशित जीवन यात्रा। ओ नचिकेता मोन आई भटकैत सरिसब पहुंच गेल छल। कहलन्हि, 'जहिया से अहां चमैनि'क जिज्ञासा पसारलहूं, सरिसब बड्ड मोन पड़ैत अछि। ओतहि रहि हम हॉयर सैकेंड्री कयने रही। सरिसब स्कूल सं। पंडित भवनाथ बाबू, हेडमास्टर साहेब'क स्नेहाशीष से। हुनकहि ओहिठाम रहि विद्यार्जन कयल, मनुख बनलहुं। नचिकेता त सदिखन रही परंतु ओहि परिबार'क लेल रही 'विद्यार्थी'। यैह नाम, यैह परिचय। परंतु, ई अनाम 'विद्यार्थी'क संबोधन, एहि संबोधन'क स्नेह बत्सलता जीवन मे फेर कहियो कान नहि सुनलक। आह सरिसब!